Last modified on 4 जुलाई 2020, at 18:57

अलूरि / चंदन कुमार झा

ओ जे एक टा भूखल
अपन भूख मेटयबा हेतु
बेचि देलक किडनी

ओ जे एक टा पत्नी
पतिक प्राण बचयबाक लेल
बेचि रहलैए
अपनहि जनमलकेँ

ओ जे दुनू व्यक्ति
बच्चाक स्कूल-फीस जुमयबा खातिर
लगौने अछि
अपन शोणितक उठौना

साइत... ओकरा सभकेँ
इमान बेचय नहि अबैत छैक
ओ जे एक टा भूखल
अपन भूख मेटयबा हेतु
बेचि देलक किडनी

ओ जे एक टा पत्नी
पतिक प्राण बचयबाक लेल
बेचि रहलैए
अपनहि जनमलकेँ

ओ जे दुनू व्यक्ति
बच्चाक स्कूल-फीस जुमयबा खातिर
लगौने अछि
अपन शोणितक उठौना

साइत ओकरा सभकेँ
इमान बेचय नहि अबैत छैक