Last modified on 4 जुलाई 2020, at 18:59

ओधि / चंदन कुमार झा

ओधि कोड़ि
बाबा
जरौलनि चूल्हि

ओधि कोड़ि
पिता
तपलनि घूर

छोड़ि देल
हम
ओधि कोड़ब

ओधि तकैत अछि
पुत्र
परती खेतमे लगयबाक हेतु