Last modified on 12 फ़रवरी 2021, at 00:32

दरमाहा / दीप नारायण

चुल्ही निपेतैक
बरतन मजेतैक
पान चिबबैत हमहुँ
किछु काल बैसबै
बनियाँक दोकान पर

हाट सँ घुरल
पिताक झोड़ा मे रहतनि
नेना-भुटकाक लेल
फोंफी, झील्ली-मुरही, कचरी

खोंखैत छथि
कतेक दिन सँ माय!
आब आनि देबनि दबाइ

आइ सिंगार करती कनियों
दरमाहा आएल अछि!