Last modified on 30 जून 2014, at 23:15

नैहरबा हम नहि जेबै पिया / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

नैहरबा हम नहि जेबै पिया
पहिल समाद लऽ कऽ हजमा एलखिन
हजमा समाद अहाँ फेरू पिया, नैहरबा
दोसर समाद लऽ कऽ भइया एलखिन
भइया समाद अहाँ फेरू पिया, नैहरबा
तेसर समाद लऽ कऽ बाबा एलखिन
बाबा समाद कोना फेरब पिया, नैहरबा
ठुनुकि ठुनुकि धनी डोलियामे पैसली
हमराकेँ कहिया मंगैब पिया, नैहरबा
उतरैत फागुन जाइछऽ हे धनी
चढ़िते फागुन मंगैबऽ हे, नैहरबा