1,136 bytes added,
17:45, 30 जून 2014 {{KKGlobal}}
{{KKLokRachna
|भाषा=मैथिली
|रचनाकार=अज्ञात
|संग्रह= संस्कारपरक गीत / मैथिली लोकगीत
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>अय बाबू, चैत रामनवमी अयोध्या मे
रामजी के जन्म भेलै ना
बक्खो जे दान मांगै अंगना नचौनी
पमरिया जे दान मांगै चिल्हका खेलौनी
अयोध्या में रामजी के जन्म भेलै ना
दगरिन जे दान मांगै नाड़ के छिलौनी
नउइन जे दान मांगै आरत लगौनी
अयोध्या में रामजी के जन्म भेलै ना
धोबिन जे दान मांगै सीरक धोऔनी
ननदो जे दान मांगै कजरा सेदौनी
अयोध्या में रामजी के जन्म भेलै ना
</poem>