Changes

'{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= संस...' के साथ नया पन्ना बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKLokRachna
|भाषा=मैथिली
|रचनाकार=अज्ञात
|संग्रह= संस्कारपरक गीत / मैथिली लोकगीत
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>सोना के खड़ाम चढ़ि आयल बरुआ
ओ जे राति नगर बुलि हे
ओ जे नगरक लोक सभे सूतल
केओ नहि जागल हे
जागल मे जागल अपन बाबा
ओ जे सुदीन जनउआ दीयऽ हे
रहू बाबू रहू बाबू अपन बरुआ
ओ जे सुदीन जनउआ देब हे
घरही मे नोतब गोसाउनि मैया
स्वर्ग पीतर सब हे
गंगा मे नोतब गंगा मैया
घर बरुआ हैत तखन जनउआ देब हे
</poem>
Delete, Mover, Reupload, Uploader
2,357
edits