Last modified on 30 जून 2014, at 23:38

सोना के खड़ाम चढ़ि आयल बरुआ / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सोना के खड़ाम चढ़ि आयल बरुआ
ओ जे राति नगर बुलि हे
ओ जे नगरक लोक सभे सूतल
केओ नहि जागल हे
जागल मे जागल अपन बाबा
ओ जे सुदीन जनउआ दीयऽ हे
रहू बाबू रहू बाबू अपन बरुआ
ओ जे सुदीन जनउआ देब हे
घरही मे नोतब गोसाउनि मैया
स्वर्ग पीतर सब हे
गंगा मे नोतब गंगा मैया
घर बरुआ हैत तखन जनउआ देब हे