अपन समाजमे पजरि गेल अछि क्रोध घृणा आ अहंकारक आगि। छिड़ियाएल अछि लिंग जाति आ सम्प्रदायवादक माहुर। सूति गेल अछि पुलिस कानून आ सत्ताक करपरदार। जहिया धरि रहत पृथ्वी पर मनुक्ख ओकरा मोनमे पोसाइत रहतैक सृजन करबाक लिलसा।