Last modified on 27 अप्रैल 2024, at 15:45

आँखि / उदय नारायण सिंह 'नचिकेता'

समस्त सौर- मंडलक
एक आँखि पृथ्वी,
आ' एक आँखि आकाश।

पृथ्विक आँखि मे नोर डबडब करैछ;
आकाश पानि बरसा रहल अछि।