Last modified on 27 दिसम्बर 2013, at 13:16

आगू मैथिलीक बाट नहि / तारानंद वियोगी

'ब' सॅ बाभनक
'भ' सॅ भाषा
'म' सॅ मैथिली।

तखन, अहां बीच मे के??

अहां हींग मे आ कि हरदि मे?
अहां गाय मे कि बाछा मे?
आ जॅ कोनो अरजी हो करबाक
तॅ जाउ
मठाधीश जी सॅ मिलियनु ग' पाछां मे।