Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 00:24

आतंकबादी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

आतंक केर कोरामे खेलाइत छै हिन्दुस्थान
हिन्दुस्थान
जकरा आइयो गुमान छै
अपन सनातन संस्कृति आ सभ्यता पर
एक-एक कऽ
एकर सांस्कृतिक पहिचान
मेटैबाक प्रयासमे लागल छै।
लागले रहैत छै आतंकवादी।

आतंकवादीकें नेह नहि छै कनियो
घर-परिवार
आ नहि कोनो सर-कुटुमसँ
ओकर सरो-कुटुम फराके बनि जाइत छै
कोनो मोजर नहि दैछ ओ
आतंके लेल
जीबै दैं, मरै छै।

मुदा,
जीबै कहाँ छै
अंतमे मरिते छै।