Last modified on 1 जुलाई 2014, at 19:44

आरे वृजबाला सुमरब गून / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आरे वृजबाला सुमरब गून
श्याम बिना भवन भेल सून
नयन ने काजर मुख नहि पान
सभ सुख लय गेल गोकुल कान्ह
रिन - रिन कए दय गेल रिन
करय नहि पाप टरय नहि रिन
सूरदास जे गाओल वसन्त
एहि जग बहुरी ने आयल कन्त