Last modified on 10 अगस्त 2016, at 02:34

आ फेरो जे अगुआ / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ फेरो जे अगुआ
महिसौथा से एलै मालिक यौऽऽ।
हौ अगुआ आबि गेलै तीसीपुरमे
आ बान्ह अय खोलि दीयौ हजमा जी के
सहजे अय दिन हौ राजा जी मानियौ
आ जल्दी अय दिन कुसुमा के मानि लियौ यौऽऽ।