Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:22

एहि भयाओन समयमे / गंग नहौन / निशाकर


बेरोजगारीक मारि
सहऽ बलाक लेल
रोजगार पाएब
होइत अछि स्वप्न सन
एहि भयाओन समयमे।

पसरैत अछि लोमहर्षक दृश्य
हॉलीबुडसँ वॉलीवुड धरि
संसदसँ सड़क धरि
शिक्षालयसँ वेश्यालय धरि
आ गलीसँ ओछाओन धरि
एहि भयाओन समयमे।

आन्हर कानून
नाँगर प्रशासन
बौक विचारक
आ घाघ होइछ मंत्री
एहि भयाओन समयमे।

आब
के मानत?
ककर बात
टूटैछ सम्बन्ध
जन्म लैछ
मोनमे कुण्ठा
एहि भयाओन समयमे।