Last modified on 29 अगस्त 2017, at 19:43

ओ / अविरल-अविराम / नारायण झा

सुनू-सुनू
अहाँक नाम

नहि मोन अछि

अहाँ कोन आश्रमसँ छी

नहि मोन अछि

अहाँक धर्म

उ...हुँ...क...
नहि मोन अछि

तखन किनसाइत
बताह तँ नहि छै ई

नहि-नहि, एकदम नहि
अहाँ भ्रममे छी
हम मनुक्ख छी
मनुक्ख

ओ...!