लोक कन्यापूजन करैत अछि
कन्याकें भोजन करबैत अछि
पयर छुबैत अछि
दक्षिणा दैत अछि
मुदा,
दोसरे दिनसँ बिसरि जाइत अछि
अपन दायित्व
कन्याकें मारैत अछि
गारि पढ़ैत अछि
कन्या-भ्रूणक हत्या करैत अछि
बलात्कार आ सामूहिक बलात्कार करैत अछि।
कन्याकें पूजबाक नहि
ओकरा पढ़यबाक
गढ़बाक
आ, पोसबाक खगता अछि।