Last modified on 4 जुलाई 2020, at 18:54

कहि दैत छी / चंदन कुमार झा

अहाँ जँ कऽ सकैत छी
चारूभर अन्हार
तऽ हमहूँ भगजोगनी छी
जीवन भरि बरिते रहब

अहाँ जँ बूझैत होयब
अपनाकेँ भोरुकबा
तऽ हमहूँ
अपन चानक
किरिया खा कहैत छी
हमहूँ छी सूर्य
बैसले रहब भोरक प्रतीक्षामे

जँ कदाचित अहाँ
राहु कि केतु बनि
बनाइयो लेब हमरा अपन ग्रास
तऽ कनिय नहि घबरायब हम
बूझल अछि हमरा
लगले भेटत उग्रास