Last modified on 31 अक्टूबर 2013, at 16:29

कादम्बरी / पृष्ठ 167 / दामोदर झा

53.
संवत विक्रम लोचन ताप नगन लोचन अछि
शिशिर ऋतुक आरम्भ मकर संक्रान्तिक दिन धछि।
कादम्बरी समापल हम मिथिला भाषामे
साधारण जन बुझत कथानक एहि आशामे॥

54.
दामोदर झा हम छी सोदरपुर कुल उद्भव भेले
पिता पूज्य रघुनन्दन झा से स्वर्गलोक चलि देले।
कादम्बरी मैथिली हुनके पद पर अर्पण कयलहुँ
नीक भेल अधलाहो वा हम अपन प्रसून चढ़यलहुँ॥