Last modified on 28 अक्टूबर 2013, at 12:59

कादम्बरी / पृष्ठ 75 / दामोदर झा

70.
सत्ये जँ ई कमललोचना हमरा पर मोहित अछि
तँ कुसुमायुध प्रकट करओता शीघ्र ई निश्चित अछि।
सेना हमर बिना हमरा की हयत करैत बिचारल
वैशम्पायनके बिनु पुछने अगम भूमि पद धारल॥

71.
ई सब सोचथि राजकुमार आँखि दुहु मुनने
नहि ई अजगुत देखने कतहु छला नहि सुनने।
निद्रा आबि हिनक मानस आच्छादन कयलक
यावत अरुण महेन्द्र दिशा केर मग अपनओलक॥