Last modified on 30 अक्टूबर 2013, at 11:13

कादम्बरी / पृष्ठ 97 / दामोदर झा

50.
छल शरीर घोड़ाक पीठ पर मन केयूरक संगहि गेल
इन्द्रायुधक मार्ग परिचित छल ई नहि सोचथि मुड़बा लेल।
सेवक आबि पकड़लक घोड़ा तय उतरवा केर छल ठाम
देखल चौकि भवन लग नयलहुँ कहुना उतरि कयल विश्राम॥

51.
राजकुमारक हाल ई क्यो नहि बुझलक आन
प्रजा सकल रंजन करथि किछ छन दय अवधान॥