Last modified on 30 जून 2014, at 23:30

कानि कानि कहथिन सीता / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कानि कानि कहथिन सीता
सुनू हनुमान यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
हरि बिनु सून भेल
सकल जहान यो
जल-थल सभ लागय
अगिन समान यो
तइयो नहि अधम तन सऽ
निकलैए प्राण यो
कहथिन सीता दाइ
सुनू मन दए हनुमान यो
कते दुख कहू हम
अपने छी सुजान यो