Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 01:18

कालीन / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

आइ फेर
कतोक दिनक बाद
मिलन भेलै
धरती आ बरखाक
जुड़ा गेलै
दुनूक हिआ।

आब
धरती पर पसरि जयतैक
भिन्न-भिन्न
हरियर रंगक कालीन।