मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
कोइलया तोरी मीठी बोलिया
उठि पिया चलल नोकरिया, कोइलिया तोरी मीठी बोलिया
रामा फूल लोढ़ऽ गेलिऐ राजा फुलबरिया, लोढ़लमे बेलिया चमेलिया
कोइलिया तोरी मीठी बोलिया
एक खोंइछा लोढ़लौं, दोसर खोंइछा लोढ़लौं, आबि गेलै राजा के सिपहिया
कोइलिया तोरी मीठी बोलिया
अंचरा धयलक मोहि झिकझोरलक, तोड़लक गजमोती हरबा
कोइलिया तोरी मीठी बोलिया
छोडू-छोडू आहे राजा मोरा अंचरबा, रोबत होयत गोदी के बलकबा
कोइलिया तोरी मीठी बोलिया