Last modified on 4 जुलाई 2020, at 18:55

खोतामे / चंदन कुमार झा

बीत भरिक खोतामे
रहैछ अटावेश
चुनमुन्नीकेँ आपसमे
रहैत छैक
कतेक आवेश?
दुःखक नहि छूति
सुखक नहि बिथुति
बीत भरिक खोतामे

अकासक
अनन्त विस्तारकेँ
नपबा लेल
उड़ैत अछि सबदिन
हारि-थाकि
घुमैत अछि सबदिन
मुदा,
हारिक नहि क्लेश
चिन्ताक नहि लेस
आशा अछि शेष
बीत भरिक खोतामे