Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:51

गुलाब / गंग नहौन / निशाकर



ककरा छोड़लक अछि काल
ककरा नहि पछाड़लक अपन दाओसँ
हमर माशुकाक आँखि धँसि गेल अछि
ठोर स्याह भऽ गेल अछि
उरोज सूखि गेल अछि
चालि लड़खड़ा गेल अछि।