गोठुल्ला / मनोज शांडिल्य

हमर अंतर्मन मे कतहु
सदति पजरल रहैत अछि
इर्खाक एक प्राचीन चूल्हि
गोठुल्ला सेहो
रहैत अछि भरले

डाहक किरासन ढारि-ढारि
धधकओने रहैत छी एकरा
सुआदि-सुआदि खाइत रहैत छी
झरकल, कार्बोनाइज़्ड कंद-मूल
आ बदलैत रहैत अछि हमर प्राणवायु
कॉन्सेन्ट्रेटेड एसिड मे
नचैत रहैत अछि कोटिशः रक्त-कोशिका
निछछ मदमत्त भेल

देहक पोर-पोर सँ
ठाँहि-पठाँहि
ठाम-ठाम
छोड़ैत रहैत छी ई एसिड
आ होइत रहैत छी
आत्मविभोर
चलैत रहैत अछि साँसक
आरोह-अवरोह

अभिभूत छी हम
सगरो देखि रहल छी
छटपटाइत संवेदनाक पसार

निरंतर भ’ रहल अछि
हमर गोठुल्लाक विस्तार!

इस पृष्ठ को बेहतर बनाने में मदद करें!

Keep track of this page and all changes to it.