Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:38

टीस / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

अहाँ
हमर मोनकें
मोन नहि
काँच बुझलहुँ
बेर-बेर
काँच जकाँ चनकाबैत रहलहुँ
मोनकें
जाधरि एकसरि नहि भऽ गेलहुँ हम
ताधरि हमरा नहि छोड़लहुँ अहाँ
मुदा,
एकसर भइयो कऽ
एकसर कहाँ छी?

अहाँक देल घाओ
आइयो
रहि-रहि कऽ मारैत अछि
टीस।