Last modified on 2 जुलाई 2014, at 20:55

डोली लायल कहार / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

डोली लायल कहार, ताहिमे दुलहिन सबार
कोना उतारि लय जायब कोहबरबामे
रामचन्द्र डोली धेने ठाढ़, सीता दाइ रोदना पसार
कोना उतारि लय जायब कोहबरबामे
रघुवर के माथ सोभनि मौर
शुभ-शुभ कय लय जायब कोहबरबामे