Last modified on 2 जुलाई 2014, at 18:18

दुलहा ओते नहि लजाउ / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

दुलहा ओते नहि लजाउ, कनी आर खाउ यौ
हमर कका कुमार, अहाँ काकी दियौन यौ
दुलहा ओते नहि लजाउ, कनी आर खाउ यौ
हमर भइया कुमार, अपन बहीनि दियौन यौ
दुलहा ओते नहि लजाउ, कनी आर खाउ यौ
हमर मामा कुमार, अपन पीसी दियौन यौ
दुलहा ओते नहि लजाउ, कनी आर खाउ यौ