Last modified on 10 अगस्त 2015, at 14:05

नवतुरिया / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

सावधान! हमरासँ हटले रहू
थिकहुँ हम सब नवतुरिया,
घोरिदेब हम हवा-पानिमे
चुप्पेचाप जहरकेर पुड़िया
अछि जिजीविषा, मुदा युयुत्सा
अन्तर्मनमे मारि करै’ ए
कुण्ठा ओ सन्त्रास-ग्रस्त छी,
बुद्धि हमर बपहारि कटै’ ए।