Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 00:24

पराजित / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

कपट
तामस
आ डाह कयनिहार सभकें आबै छै
जैपंथी
कोनो होअय मौसम
कोनो होअय मुहूर्त
कोनो होअय घड़ी।

अपन-अपन करेजकें निरमल बना
अपन-अपन बलसँ/दाओसँ
करियौक ओकरा पराजित।