Last modified on 12 फ़रवरी 2021, at 23:32

पैघ कवि / दीप नारायण

कविता नहि थिक अभिनय
शब्दकोश त' किन्नहुँ नहि
एखनुक समय मे
बड़का 'कंफ्यूजन' अछि
कविता आ शब्दक कारीगरी मे

पत्रिका मे छपि गेला सँ
छपबा लेला सँ गतगर पोथी
लिखा लेला सँ भरिगर भूमिका
कि मंच पर चढ़ि
क' लेला सँ कविताक पाठ

आ की कोनो सम्मान आ पुरस्कारे
ई प्रमाणित नहि करैत अछि
कोनो कवि केँ कवि हैब

आ ने किनको कहि देला सँ
वा लिख देला सँ
भ' जाइत छैक कोइ
पैघ कवि
आ कि छोटे!

जिनका कविता मे
जतेक अछि कविता
ओ समय के ततेक पैघ कवि।