फूल लोढ़न चलू फुलबरिया / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

फूल लोढ़न चलू फुलबरिया
सीता के संग सहेलिया
केओ आगाँ चले केओ पाछा चले
चले बीचहिमे जनक दुलरिया
केओ बेली लोढ़य केओ चमेली लोढ़य
केओ लोढ़य अड़हूल केर कलिया
केओ गौरी पूजय केओ गिरिजा पूजय
केओ पूजय जनक जी के बगीया
सीता के संग सहेलिया

इस पृष्ठ को बेहतर बनाने में मदद करें!

Keep track of this page and all changes to it.