Last modified on 24 मार्च 2014, at 12:54

बड़का लोक / मन्त्रेश्वर झा

सने, बड़का लोक भऽ गेलाहे टोंटानाथ बाबू
टोंटा-सोंटा सँ बनि गेलाह आदरणीय टोंटानाथ जी
‘सर’ जी, महाशय जी, मान्यवर जी
दपदप करैत छनि कारी चिक्कन मुख मंडल
फूलिके कुप्पा भऽ गेल छनि गाल
कानमे कडू तेलक बदला आब ठूसल
रहैत छनि बिलाइती सेन्टक फाहा
एह, केहन मोट भऽ गेल छनि गरदनि
धौत परीक्षोत्तीर्णक बदला भऽ गेलाहे
धोधि परीक्षोत्तीर्ण
जेना पूर्णमासी पेट मे होइन जौंआ बेटा
सत्ते, बड्ड पैघ लोक भऽ गेलाहें टोंटा बाबू
जेहने बड़का साहेब, तेहने बड़का हाता
मखमी लाउन पर टांगल तेहने रंग बिरंगी छाता
तेहने बड़का साहेब, तेहने बड़का हाता
मखमली लाउन पर टांगल तेहने रंग बिरंगी छाता
तेहने कोठी बंगला, कार-कार पर झंडा
कुकुर, सन्तरी, अमला, दरबारी
अपनो सरकार, सभटा सरकारी
कतेक बेर जेल गेलाहे बेचारे
हबालामे, घोटालामे फेंटल गेलनि नाम
मुदा सत्यक होइत छैक विजय निश्चय
से छुटैत रहलाह बारंबार
कुर्सीसँ धोआइत छैक सभटा दाग, कलंक
सोनाक झुनझुनाक आगाँ टुटैत छैक
लोहाक हथकड़ी, जेलक फाटक
कतेक बेर देश सेवाक लेल
चुनाव लड़लाह टोंटानाथ बाबू
जितलाह, हारलाह। मूर्ख, उपद्रवी जनताक कारणें
कतोक बेर जप्त भेलनि जमानत
मुदा छोड़लनि नहि अपन संघर्ष
देशक सेवा मे झोंकि देलनि प्राण
रुपैयाक बल, लाठीक बल, हँसेड़ीक बल
काज नहि अयलनि तऽ चला देलनि जातिक विजयास्त्र
आ बनैत रहलाह मंत्री, गवर्नर, किदन कहाँदन
एकटा बेटा के पइा देलनि अमेरिका
अपने घर सँ शुरू कयलनि देशक उत्थानक लेल एक्सपोर्ट
आब कोनो मेम संग रहैत छनि बेटा
करैत छनि स्विट्जरलैंड मे बापक फंडक सुरक्षा
बेटीके पठा देलनि बिलेंत
जमाय तकलनि एन आर आइ
वैह टोंटा जे छलाह पढ़बा मे भुसकौल, मैट्रिक फेल
जे छलाह लोफर गुंडा, छूरा बले असूलैत छलाह चन्दा
से आब भऽ गेलाह बिना परीक्षा देनहि
बीए, एमए, पी-एच.डी, डी-लिट्
कुर्सी पकड़िते ज्ञानी, महाज्ञानी, सरकार।
बहाल करैत छथि कुलपति
अध्यक्ष जाँच आयोग
पबैत रहैत छथि मान सम्मान
ऑनरिस कौजा
ठामक ठाम, ठामक ठाम
सत्ते, की शान मे रहैत छथि टोंटानाथ बाबू
महामान्यवर के की छनि एकबाल, की ठाठ-बाट
वाह, सात पुस्त तक करैत रहतनि ढेकार
सत्ते बड्ड पैघ लोक भऽ गेलाहे टोंटानाथ बाबू
रहैत छथि ततेक व्यस्त, ततेक बेहाल
जे अपनो दिस तकबाक नहि रहैत छनि फुरसति
अपन सम्पूर्ण जीवन कऽ देलनि, देश सेवामे दान
हार्ट तक भऽ गेल छनि आपरेशन मे चिरीचोंत
लगही मे निकलैत छनि सुगर स्कैम
सभटा पाचन शक्ति परोपकार मे भऽ जाइत छनि खर्च
ने पचैत छनि चिकेन, ने मलाइ
समाजक भलाइक फिरीशानी मे
बढ़ि गेल छनि ब्लडप्रेशर
तथापित बेचारे टोंटानाथ बाबू
हमरा युगक महापुरुष, महामानव
भ्रष्टाचारकें मिटेबा लेल छथि कृत संकल्प
दिन-राति करैत रहैत छथि उद्घाटन, भाषण
लुटबैत फिरैत छथि सपना
बँटेत रहैत छथि उपदेश, आदेश
सत्ते बड़का लोक भऽ गेलाहे टोंटानाथ बाबू
हुनकर अहर्निश त्याग सँ
तरि गेलनि सकल खानदान
आ एमहर छोटका छोटका लोक
नीच नीच जन समुदाय
करैत रहथु व्रत, उपवास, दया, दान
सहैत रहथु दाही, जरती, महामारीक प्रकोप
एहि जन्मक पुण्य सँ सुधरैत छैक अगिला जन्म
टोंटानाथ बाबू जकाँ अगिला
जन्म मे बड़का लोक बनबाक लेल
लागल रहथु छोटका लोक, करैत रहथु व्रत उपवास
करैत रहथु बीए, एमए पास
आ बरोजगारीक चास