देवीजी उपकेंद्रक वाइफ छथि मेडीकल 
साँची छन्हि "ठाढ़ी" मे आँचर " बहेरा" अंचल 
अन्हरा ई दुनियाँ आ नेंगरा जमाना रौ
भनसाघर भासल आ पक्की पखाना रौ
बीकल घरारी पर भूखल छी भोजन नहि 
चाहक हम पान करी आनक प्रयोजन नहि 
बाहर मे हिंजड़ा आ भीतर मे लूपे छै 
हमरा ले डगरा आ अपना ले सूपे छै 
सुनियो क' सूनी नहि देखियो क' सूरदास 
दिनुका विहन्न्ला छी रतुका अज्ञातवास 
नाड़ी भेलि तेज आब आबि गेल ब्लडप्रेसर 
औरदा अछैते हम मरबै हौ नागेसर...