Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:43

भिलेन / गंग नहौन / निशाकर



भिलेन अबैत अछि
तँ होमऽ लगैत अछि कन्नरोहटि
मचि जाइत छैक आतंक
बदलि जाइत अछि बसात
मुदा भिलेन नहि बदलैछ
ओकरा मोनमे पजरैत छैक हिंसाक आगि
कोनो असरि नहि होइत छैक ओकरा
बुद्ध
ईशा
आ मुहम्मद साहेबक।