Last modified on 1 जुलाई 2014, at 15:57

मनाइन इहो दूध आनल / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मनाइन इहो दूध आनल, खीर रान्हल
महुअक भेल तैयार, चीनी धय डालल
धारी भरि खीर पउरल, वर रूसल
करू गऽ भोजन आजु, लाज नहि मानिय

करू शिव भोजन आजु, लाज नहि मानिय
भनहि विद्यापति गाओल, फल पाओल
हे धन गौरी केर भाग, सुन्दर वर पाओल