Last modified on 12 फ़रवरी 2021, at 23:31

माँटि आ स्त्री / दीप नारायण

कोदारि सँ
खनल गेल पहिले
मुक्का सँ गुथल
सानल गेल लात सँ
नचा-नचा चाक पर
बनाओल गेल बासन
सुखा, फेर रउद मे
भट्ठी मे पकाओल गेल

माँटि बजैत नहि छैक तेँ की!
सहैत छैक बहुत
आ स्त्री सेहो।