Last modified on 1 जुलाई 2014, at 19:59

माघ मास सिरपंचमी / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

माघ मास सिरपंचमी, रंग होरी ओ ब्रज होरी हो
भोर सँ मचय घामार लाल रंग होरी ओ ब्रज होरी हो
ककरा सँ लिखनी लिखाय ककरा पठायब
केये जायत हुनि पास, खबरि हम पायब
कयथे सँ लिखनी लिखायब, हजमा पठायब
देओर जायत हुनि पास, खबरि हम पायब