Last modified on 2 अगस्त 2016, at 01:24

मामा हौ मामा / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

मामा हौ मामा
आब तऽ बड़े जुलुम तऽ केलहऽ
महिसौथामे ने हौ-2
हौ मामा
आहौ दिनके मनौन भार आइ होइ छै
आ दिन के मनौन हौ मामा भार नइ केलहक मामा हौ।