Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 01:31

युद्ध / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

युद्धमे
मरै
झड़कै
कोनो दिसक लोक
उदास
गामे-घर होइत छैक
मसोमात
स्त्रिये होइत छैक
दुग्गर
बुतरुये होइत छैक।

स्थगित करू
अपन-अपन
भीतरक युद्ध।