Last modified on 2 अगस्त 2016, at 05:07

रामजोड़ी बहिना / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

रामजोड़ी बहिना
सुनिते जे छेलीयै बहिना
सामी वरननमा
आ सुनिते जे छेलीयै बहिना
सामी बरननमा बहिना गै।
आ केना कऽ बेइमनमा मिल जेबै
आ गै केना कऽ बेइमनमा-मिल जेबै
बहुरा नगरिया मेने गै।