Last modified on 29 अप्रैल 2014, at 14:37

राष्ट्रभक्ति गीत / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

अभिनव आर्यावर्त्त महान
राखब सत्य सिनेहक मान
सतनाम बाइबिल वेद कुरान
परम अहिंसक हिन्दुस्तान...
शीश हिमालय ध्वज फहराबथि
गंगा -गोदावरी चरण पखारथि
गिर विंध्याचल महमह वात
अरुण असम मणि सिहकल गात
सति सावित्री सन अहिवाती
विदेह वनिता सँ गदरल छाती
रणचंडी झांसीक फूजल म्यान...
जत' सिकंदर भेल अवाक्
व्यास तट हारि रगड़लक नाक
गुरू चाणक्य नीति केर नाथ
विवेक बचौलनि राष्ट्रक माँथ
नित कन्या चरण पुजै छी
चान-सुरुज संग गाछ नमै छी
बुद्ध सत पसरल सकल जहान...
मराठा तरकश वाण सम्हारथि
सिक्ख रण सोझाँ प्राण गमावथि
अकबर भरल पंथ बिच कूप
सिनेही मोहनदास अनूप
बाल-सुभाष बाहु मकरंद
दुष्ट अंग्रेज धँसल भूखंड
कतेको कुंवर देलनि बलिदान...
द्रविड़ लय गमकल पात पलाश
हिंदी सकल राष्ट्र केँ श्वास
कवि कोकिल विद्यापति रसगीत
जगबय जड़ चेतन मे प्रीत
मैथिली सन मधुरामिनी बोल
टपकय छन्दामृत अनमोल
पगपग सहरल पान मखान...
शंकर-रामानुज सन संत
रहीम-कबीर नीति बलमंत
उदयन दर्शन केर फुफुकारि
फूजल जगन्नाथ पट द्वारि
मीरा-रवि-चैतन्य हरिभक्त
स्वयं प्रभु सूर नेह आशक्त
राणा-टीपू सन वीर संतान...