Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:46

लुत्ती / गंग नहौन / निशाकर



अपराधी स्वीकारि चुकल छल अपराध
कऽ चुकल छल आत्म समर्पण
तैयो दागल गेलै गोली ओकरा।
खलासी स्वीकारि चुकल छल अपन गलती
दुनू कऽल जोड़ि लेने छल
तैयो पीटल गेलै ओकरा।
गृहणीक मधुर वचनो पर
उलहन देल गेलै
रण्डी धरि कहल गेलै ओकरा।

अनचोके एक दिन भऽ जएतैक
अन्याय, अत्याचार आ अनाचारक विरुद्ध
प्रतिक्रिया
प्रतिघात
प्रतिहिंसा।