Last modified on 5 अगस्त 2015, at 11:28

वय: सन्धि-द्वितीय पर्व / राजकमल चौधरी

बाघ-बोनमे बौआयब हम
ककरा संग, लागल साँझ-परात
माया मुदा, व्याधि व्यथाकेँ
जब्बर-जब्बर खुट्टा चारू कात
क्रोध नहि रहल मोनमे बैसल
मातल छुट्टा साँढ़-
आब की तोड़ब पगहा, किएक
मारब बथानमे लात।

(मिथिला मिहिर: 8.11.64)