वादमुक्त नहि भेल अछि कोनो पार्टी सरकार आ ने कोना मुलुक। आदिकालसँ वादमुक्त अछि अकासक चिड़ै बसात आ धारक हिलकोर। सभ दिन वादमुक्त रहत प्रेमक पाठ सौन्दर्यक शास्त्र आ सृजनक सरोकार।