Changes

'{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKLokRachna
|भाषा=मैथिली
|रचनाकार=अज्ञात
|संग्रह= बियाह सँ द्विरागमन धरिक गीत / मैथिली लोकगीत संग्रह
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>आयल सखि हे परम सोहाओन
साओन के महिनमा
मधुश्रावणी पाबनि आयल
सीता राम मिलनमा
भरि-भरि डाला फूल लोढ़ब
माला गाँथब प्रेम सँ
माँ बिसहराकेँ आबि चढ़यबनि
पूजा करब अड़हल सँ
लाबा दूध देबनि छिड़ियाइ
दीप जरय अहिबात केर
जुग-जुग सोहागिन रहथु पबनैतिन
जीबथु दुलहा ललनमा
आयल सखि हे सर्वसोहाओन
साओन के महिनमा
</poem>
Delete, Mover, Reupload, Uploader
2,357
edits