1,624 bytes added,
18:35, 22 अप्रैल 2015 {{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=नरेश कुमार विकल
|संग्रह=अरिपन / नरेश कुमार विकल
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
{{KKCatGeet}}
<poem>
चान डूबल, आस छूटल
एना मे गीत की गाबी ?
छन्द रूसल, ताल टूटल
एना मे गीत की गाबी ?
मोनक श्रृंगार कयने छी
तनल आकाश केर नीचाँ,
हमर मोनक भाषा केर-
बनत कैकटा ऋचाऽ।
हृदय केर तार सभ टूटल
कहाँ सँ तान हम लाबी ?
छन्द रूसल, ताल टूटल
एना मे गीत की गाबी ?
जरतई देह बिनु आगिक
आँखिक नोर मे डूबत,
आंगन मे इजोरिया संग
ऐपन चान सन ऊगत
सिनुरी सांझ पुनि ऊगल
कोना हम मोन कें दाबी ?
छन्द रूसल, ताल टूटल
एना मे गीत की गाबी ?
तरेगन ताम्र-पत्र परक
उगल दू तीनटा आखर
पिआसल मोन कें भरत
ने कहियो गंग आ सागर।
स्नेहक सीत सभ बरिसल
एना कत दिन जोगाबी ?
छन्द रूसल, ताल टूटल
एना मे गीत की गाबी ?
</poem>