Last modified on 4 जुलाई 2014, at 20:35

सांझो ने आयल कन्हैया / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सांझो ने आयल कन्हैया, यशोदा मैया
वृन्दावनमे देखू गैयन के संगमे देखू
मुरली बजबै छथि कन्हैया, यशोदा मैया
जमुनाके तट पर देखू ग्वालिन के संगमे देखू
माखन चोरबै छथि कन्हैया, यशोदा मैया
यमुनाके तीरे देखू सखियन के संगमे देखू
चीर चोरबै छथि कन्हैया, यशोदा मैया