गुजरातक घटनाकें गौरव मानैछ कट्टरपंथी निकालैछ गौरव यात्रा बढ़बैछ अपन भोट। दंगाक पोस्टमार्टम करैछ नगर भरिक अखबार। दंगाक तापमे झड़कैत अछि सोझमतिया लोक नहि छैक ओकरा लग छलक हथियार बुद्धिक वाण एखनहुं बांचल छैक ओकरामे दंगाईसं सामना करबाक साहस।